लड़कीक संग करैत छल छेड़खानी, छात्र केलक पुलिसक हवाला

    0
    312
    घटना सीतामढ़ी के डुमरा स्थित कुमार चौकक अछि। जतय एकता कोचिंग संस्थानक छात्रा सब के संग युवक छेड़खानी करैत छल। युवक हरदम नशा मे धूत रहैत छल। युवक बेखौफ भय फेर अप्पन दोस्तक संग कोचिंग के गेट पर जा कय लड़की के संग छेड़खानी करय लागल। कोचिंग संचालक जहन विरोध केलनि त ओ मारिपीट पर उतरि गेल।

    फेर छात्रक मददि सं कोचिंग संचालक आरोपी युवक के पकड़ी क थाना लय गेल। ओतय, आरोपी युवक के लोक पिटाई सेहो केलक आ बाद मे पुलिसक हवाले कय देलक।