गाछ सं लटकल भेटल सरपंचक लहास

    0
    593

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर-निशांत झा: समस्तीपुर-कल्याणपुर थाना’क बासुदेवपुर पंचायतक सरपंच हरिशंकर भगतकें लहास फांसी पर लटकल भेटल। अहि घटनाक बाद लोककेँ हत्याक अंदेसा भए रहल अछि। लहास पंचायत भवनक पाछु गाछ सं लटकल भेटल अछि। मृतककें पटना स्टेशनकें बम सं उड़ेबाक मामलेमे एटीएसकें टीम पूछताछ करबाक लेल पटना लए गेल छल। पुलिस घटना स्थल पर पहुचकय मामलाक जाँच कए रहल अछि।