‘मिथिला लोक उत्सव’ मे भाजपा नेताक संग सौतेला व्यवहार: संजय सरावगी

    0
    281

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा मे मिथिला लोक उत्सवक उद्घाटन के बाद राजनिति गरमा गेल। कार्यक्रमक शुरुआत मे नगर विधायक संजय सरावगी तथा विधान पार्षद अर्जुन सहनी मंच पर बजबाक मौक़ा नहि देला पर आक्रोशित भय गेलाह, आ कार्यक्रम के वहिष्कार कय चलि गेलाह। नगर विधायक कहलनि जे, एतय  भाजपा नेताक संग सौतेला व्यवहार कायल गेल।

    नगर विधायक कहलनि जे, जहन मंत्री के बजबाक मौक़ा देल गेल त हमरा कियैक नहि, ओ आरोप लगेलनि जे कार्यक्रम राजनीतिकरण कायल गेल। ओ कहलनि जे, हम भाजपाक विधायक छी ताहि दुआरे हमरा नहि बाजय देल गेल। हम जनताक प्रतिनिधि छी ताहि दुआरे हमर जनताक अपमान कायल गेल।

    सूत्रक अनुसार कार्यक्रम मे आमंत्रित तीन गोट सांसद नहि पहुँचल छलाह। नगर विधायक कहलनि जे, कार्यक्रम के वर्षो पूर्व स्वीकृति भेट चुकल अछि, मुदा अहि बेर बिहार सरकारक मंत्री ढ़ोल पीटि रहल छथि जे, कार्यक्रम के नीतीश कुमार स्वीकृति दियेलैनी अछि।