समस्तीपुर मे खोपड़ी मे चलि रहल सेक्स रैकेट’क पर्दाफाश

    0
    352

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिलाक रोसड़ा मे एकटा जर्जर खोपड़ी के भीतर सेक्स रैकेट चलबाक सनसनीखेज मामला प्रकाश मे आयल अछि। सूत्रक अनुसार जहन पुलिस यह खोपड़ी मे छापेमारी केलक त लोकक होश उड़ि गेल। खोपड़ी के भीतर एकटा नाबालिग लड़की आ दू टा लड़का आपत्तिजनक अवस्था मे पाओल गेल।

    पुलिस तीनू के हिरासत मे लय पूछताछ कय रहल अछि। पुलिस मामलाक जांच मे जुटल अछि।
    पुलिस नाबालिग लड़की के फिलहाल बालिका सुधार गृह मे पठा देलक अछि आ ओकर संग मे भेटल मोबाइल नंबरक गहनता स जांच कय रहल अछि।

    पुलिस सूत्रक अनुसार लड़की स्वयं स्वीकार केलक अछि जे, ओ अहि धंधा मे अप्पन मरजी सं आयल अछि। फिलहाल पुलिस के ई मामला सेक्स रैकेट सं जुड़ल लागि रहल अछि। पूरा मामलाक जांच कायल जा रहल अछि।