वर्षात सं पहिनहि जलजमावक समस्या सं जूझि रहल रेलवे स्टेशन बाजार

    0
    365

    मधुबनी, मिथिला मिरर: हालहिमे भेल जोरगर वर्षा सं मधुबनीक रेलवे स्टेशन बाजारक ओपी पुलिस सड़क नरकमे बदलि गेल अछि। अहि मोहल्लाक लोककें लगभग भरि बरसात जलजमाव आ बदबूदार स्थितिमे जीवन जिबैत अछि, मुदा सरकारी कर्मचारी आ जनसेवककेँ अहि सब सं कोनो मतलब नहि। स्थानीय आरएस ओपी सं प्रणामी मंदिर धरि दू फीट पानिक जमाव एखनहि भये गेल अछि।

    पानिक जमावकें देखैत स्थानीय मुखिया पानिक बहावक लेल किछु करबाक रुचि देखा रहल छथि मुदा कोनो स्थाई समाधान तकबाक इमानदार कोशिश नहि भए रहल अछि। मुखिया एसडीओ सं दूरभाष पर बात सेहो केलनि आ एकर निदानक रस्ता निकालबाक लेल सेहो कहलनि। पानिक निकासीक वैकल्पिक मार्ग रेलवेक नालामे पानिकें खसेबाक अछि, जाहिकेँ लेल स्थानीय प्रशासनकें रेलवेक अधिकारी सं समन्वय बनेबाक आवश्यकता अछि।

    दोसर विकल्प पथराही चौक होइत पक्का नालाक निर्माण हो आ ओहि नालाकें रेलवेक इजाजत सं रेलवेक नालामे खसाओल जाए, जे खर्चीला अछि। बहरहाल, अहि सड़कक दुनू कात बसल लोकक संग-संग आम यात्री सेहो अहि जलजमाव सं परेशान अछि।