साक्षात्कार मे विलंब पर भड़कल छात्र केलक तोड़फोड़

    0
    280

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के करजा थाना क्षेत्रक चमरुआ स्थित राम जानकी स्वामी सहजानंद सरस्वती स्नातक कॉलेज मे एकटा एनजीओ द्वारा साक्षात्कारक लेल बजाओल गेल अभ्यर्थी जमिकय हंगामा केलनि। कॉलेज मे तोड़-फोड़क संग आगजनी व हंगामा करैत कॉलेज गेटक समीप एनएच-102 के जाम कय देल गेल। जाहि सं ढाई घंटा धरि अफरातफरी मचल रहल।

    आक्रोशित अभ्यर्थी कॉलेजक कुर्सी जेनरेटर, विभिन्न फाइल, कंप्यूटर, पंप, लैपटॉप आदि आगिक हवाला कय। देलनि पंखा, अलमारी, किवाड़ आदि तोड़ि देल गेल। एतबे नहि पुस्तकालय, कार्यालय सहित विभिन्न कमरा मे जमि कय उत्पात मचाओल गेल।

    विभिन्न जिला सं साक्षात्कार के लेल पहुंचल अभ्यर्थी एनजीओ पर साक्षात्कार मे विलंबक अलावा वादाखिलाफी व धोखाधड़ीक आरोप लगा रहल छलाह। ओ कॉलेज प्रबंधन पर व्यवस्था नहि करबाक आरोप लगा रहल छल।