हम त बजबे करब…

    0
    454

    पटना, मिथिला मिरर: जदयू द्वारा सोमदिन प्रेस कांफ्रेंस कय लालू प्रसाद सं रघुवंश प्रसाद सिंह पर लगाम लगेबाक अपील कायल गेल छल। जकरा बाद मंगलदिन लालू यादव कहबो केने छलाह जे रघुवंश प्रसाद के एना नहि बजबाक चाही। मुदा अहि सब के बादो मंगलदिन राजद नेता रघुवंश प्रसाद कहलनि जे हम बजबे करब, ककरो नीक लागे तैयो खराप लागे तैयो।

    रघुवंश प्रसाद साफ कहलानि जे, हम बाजब नहि छोड़ब। ओ कहलनि जे यदि चुप रहब त डेमोक्रेसी कोना बांचत? हमरा पर लगाम लगाबय बला अपने बेलगाम छथि। जदयू नेता हमरा दर्जनो बेर गाईर पढ़लनि। आब दू गो मंत्री प्रेस कॉन्फ्रेंस कय गठबंधनक धर्म के तोड़लाह।