मधुबनी डाकघर मे 350 गोट खाताधारक के एटीएम कार्ड जारी

    0
    375
    मधुबनी, मिथिला मिरर: आब डाक विभाग द्वारा जारी एटीएम सं ग्राहक बैंकक एटीएम सं सेहो रुपैया निकालि सकैत छथि। प्रधान डाकघर सं प्राप्त जानकारीक अनुसार आब डाकघरक खाताधारी अप्पन एटीएम सं कतहु कोनो बैंकक एटीएम सं 4500 रुपैया एक बेर मे निकालि सकैत छथि।
    डाक अधीक्षक मो. जैनुद्दीन कहलनि जे, 2 जनवरी 17 सं ई काज चालू कय देल गेल अछि। डाक अधीक्षक कहलनि जे, एखन प्रधान डाकघर सं लगभग 350 एटीएम निर्गत भेल अछि। मुदा अहि महीना विभाग द्वारा अभियान चलाकय सब उपभोक्ता के एटीएम देल जायत। ताकि रुपैयाक लेन-देन मे उपभोक्ता के परेशानी नहि होइ।
    ओ कहलनि जे, प्रधान डाकघर सहित सब उपडाकघर के ऑन लाइन सेवा सं जोड़ल गेल अछि। जिलाक सब उपडाकपाल के निर्देश देल गेल अछि जे, प्रत्येक ग्राहक सं एटीएम फॉर्म भरौल जाय आ जल्दी सं खाता धारक के एटीएम सेवा देल जाय।जाय.