मिथिला मिरर, दिल्लीः कृतज्ञ राष्ट्र अपन 79म स्वतंत्रता दिवस धूम-धाम सँ मना रहल अछि। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी लगातार 12म बेर स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर ऐतिहासिक लाल किलाक प्राचारी सँ ध्वजारोहन करैत राष्ट्र केँ संबोधित कयलनि। देश केँ संबोधित करैत प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी कहलनि जे आॅपरेशन सिंदूरक बाद देशक सुरक्षाक मुद्दा चर्चाक विषय बनल आ भारतीय सेना अपन पराक्रम देखबैत आंतकी केँ घर मे घुसि मुँहतोड़ जवाब देलक। प्रधानमंत्री कहलनि जे आतंकी पर कयल गेल कार्रवाइ देशक आक्रोशक परिणाम छल। श्रीकृष्णक सुदर्शन चक्र सँ प्रेरित आयरनडोम सनक सुरक्षा पद्धति केँ विकसित करबाक घोषणा सेहो प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी कयलनि।
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक आजुक भाषण 103 मिनटक छल जाहि मे जीएसी पर संशोधन सहित डेमोग्राफिक बदलाव पर सेहो चिंता जतौलनि। प्रधानमंत्री युवा केँ रोजगार उपलब्ध करेबाक लेल 1 लाख करोड़ टकाक पैकेजक सेहो धोषणा कयलनि। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी कहलनि जे देशक किसान हमरा लेल आत्मसम्मान सँ जुड़ल छथि ताहि लेल किसानक भविष्य सँ समझौता करब देशक भविष्य संग खेलबाड़ होयत ताहि लेल सरकार सतत किसान हितक लेल काज करत आ दुनियाक कोनो देशक संग एहि चीज सँ समझौता नहि करत।
Home
समाचार
राष्ट्रीय समाचार कृतज्ञ राष्ट्र मना रहल अछि 79म स्वतंत्रता दिवस, ऐतिहासिक लाल किलाक प्राचीर...