प्रकाशोत्सव सं वापस जा रहल श्रद्धालु जमिकय केलनि बिहारी’क बड़ाई

    0
    290

    पटना, मिथिला मिरर: प्रकाशोत्सव मे भाग लेबाक लेल पटना आयल लाखो श्रद्धालु वापस जाय लागल छथि। पटना स्टेशन पर लौटय वला श्रद्धालुक भारी भीड़ अछि। बिहार मे आवभगत सं श्रद्धालु गदगद छथि। लौटय वला श्रद्धालुक कहब अछि जे हम पटना सं नीक याद लय वापस जा रहल छी आ एकर पूरा श्रेय एतय के लोक आ बिहार सरकार के जाइत अछि।

    पंजाब सं आयल एकटा श्रद्धालु कहै छथि जे, पंजाब मे आब कोनो बिहारी भेटताह त हम सब हुनका लगा लगा कय स्वागत करब। बिहारक लोक हमरा सब के तहे दिल स स्वागत केलनि आ एकरा ताउम्र हम याद राखब।

    पंजाबी चैनल के एकटा प्रत्रकार कहलनि जे, हम अहि तरहक व्यवस्थाक उम्मीद नहि केने छलहुँ। अहि सेवा सत्कार स हमर सभक बिहारीक प्रति सोच बदलि गेल अछि। हमसब कोशिश करब जे गुरुक धरती पर बेर-बेर आबी।