पटना मे सिलेंडर फटला सं लागल आगि मे आधा दर्जन दोकान जरि कय खाक

    0
    404

    पटना, मिथिला मिरर: पटना के कुर्जी मोड़ पर बुधदिन भोर मे सिलेंडर फटला सं बहुत रास दोकान आगिक चपेट मे आबि गेल। कुर्जी मोड़ पर अफरातफरीक माहौल भय गेल छल। दमकल के गाडी मौका पर पहुंच कय बाद मे आगि पर काबू पेलक।

    जाबेत स्थानीय लोक पहुंचल टा धरि नीलू ऑटो पार्ट्स, अमित डेंटल क्लिनिक, सुरेंद्र श्रृंगार दोकान आ चश्मा दोकान जरि गेल छल। सूचना के बाद दमकल गाड़ी मौका पर पहुंच कय आगि पर काबू पेलाक।

    स्थानीय लोकक अनुसार अगलगी के कारण अगल-बगल के घरक शीशा सेहो टूटल अछि। कहल जा रहल अछि जे, हादसा दिन मे होईत त बहुतो लोक अहि के चपेट मे आबि जायत।