आईएनए दिल्ली हाटमे 15 दिवसीय बिहार उत्सवक आयोजन

    0
    282

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्लीकें आईएनए हाटमे चलि रहल 15 दिवसीय बिहार उत्सवक रविदिन चारिम दिन छल। एतय दिल्लीक लोककें बिहारक जूट सं बनल घरेलू समान खूब नीक लागि रहल अछि। बिहार सरकारक उद्योग विभाग द्वरा बिहारक 105’म स्थापना दिवसके अवसर पर दिल्लीमे बिहार उत्सव 2017’क आयोजन कएल गेल अछि।

    ई आयोजन उपेंद्र महारथी शिल्प अनुसंधान संस्थान पटनाकें तात्वाधानमे 31 मार्च धरि चलत, जाहिमे हैंडीक्राफ्ट आ हैंडलूमकें 50 टा स्टॉल लगाओल गेल अछि। अहिकें अलावा बिहारी व्यंजनक स्वाद सेहो एतए खूब पसंद कएल जा रहल अछि। एतय मिस्टर लिट्टीवला’क लिट्टी आ बिहारक रसोईकें स्टॉल सेहो लोककें खूब आकर्षित कए रहल अछि।