दरभंगाक कटरहिया पोखरिमे भेटल नवजातक लहाश

    0
    593

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक लहेरियासरायकें सदर थाना क्षेत्रक मोहल्लाकें कटरहिया पोखरिमे एकटा अज्ञात द्वारा जन्मजात बच्चीकें पोखरिमे फेंकबाक घटना प्रकाशमे आएल अछि। घटनाक बाद जुटल लोकक सूचना पर पहुँचल सदर थानाक पुलिस बच्चीक लहाशकेँ पोस्टमार्टमक लेल पठा देलक अछि आ घटनाक पड़ताल कए रहल अछि।

    अहि तरहक निर्मम घटना सं स्थानीय लोकमे काफी रोष अछि। लोकक कहब अछि जे, एहेन तरहक घटना अमानवीय अछि। अहि तरहक घटनाक जिम्मेदारकें कड़ी सजा भेटबाक चाही।