चंद्रशेखर सिंह ग्रहण केलाह दरभंगाक नव जिलाधिकारीक पदभार

    0
    339

    दरभंगा,मिथिला मिरर-निशांत झाः दरभंगाक नवका जिलाधिकारी कें रूपमे चन्द्रशेखर सिंह प्रभार लेलाह। बिहारमे व्यापक स्तर पर प्रशासनिक अधिकारि लोकनिक भेल फेर बदलक कारणे दरभंगा मे सेहो एकर असर देखवाक भेटल। नवका जिलाधिकारी डॉ सिंह पहिल बेर शेखपुरा जिला मे 1अगस्त 2015 कऽ जिलाधिकारीक रूप मे अपन सेवाक शुरूआत केने छलाह, ओहिक बाद सीधा दरभंगा में जिलाधिकारीक रूप मे प्रभार ग्रहण केलैथ।
    डाॅ. चंद्रशेखर जिलाधिकारीक संग-संग जिलाधिकारी कक्ष मे कोषागार, जिला निबंधन, जिला स्थापना आ गोपनीयक प्रभार लेलैन। अहि अवसर पर डीडीसी विवेकानंद झा, कोषागार अधिकारी, अल्पसंख्यक कल्याण अधिकारी, जिला भूअर्जन अधिकारी, जिला शिक्षा अधिकारी, उत्पाद अधिकारी, आपदा प्रबंधन अधिकारी सहित विभिन्न विभागक अधिकारीक संगहि प्रधान सहायक आ बहुत रास पदाधिकारी लोकनिक के उपस्थिति छल।