झंझारपुर मे प्रेस भवन के निर्माणक लेल 15 लाख रुपैया देबाक आश्वाशन देलनि सांसद वीरेंद्र चौधरी

    0
    289

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर सं सांसद वीरेंद कुमार चौधरी बुधदिन अप्पन आवास पर झंझारपुर प्रेस क्लब प्रतिनिधि मंडल सं बातचीत के दौरान पत्रकारक लेल भवन बनेबाक आश्वाशन देलनि। सांसद कहलनि जे, प्रेस समाजक आइना होइत अछि। ओ कहलनि जे, जहन केंद्र सरकार सब के भवन देबाक प्रयास शुरू केलक अछि त पत्रकारक लेल सेहो एकटा भवन हेबाक चाही, जाहि मे बसि कय पत्रकार सब देश-दुनियाक नव-नव जानकारी देबाक काज तन्मयता सं कय सकय।

    सांसद अप्पन ऐक्षिक कोष सं भवन निर्माणक लेल 15 लाख रुपैया प्रेस क्लब भवनक लेल अनुसंशित करबाक आश्वाशन प्रेस प्रतिनिधि के देलनि। सांसद कहलनि जे, ई भवन समयक मांग अछि। बता दी जे, झंझारपुर प्रेस क्लब अप्पन भवनक लेल लंबा समय सं प्रयासरत छल।