समस्तीपुर मे पुलिस मित्रक दिनदहाड़े हत्या

    0
    393

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर जिला के विद्यापतिनगर थाना क्षेत्र मे रविदिन दिनदहाड़े अपराधी एकटा पुलिस मित्र के गोली मारि कय हत्या कय देलक। बताओल जा रहल अछि जे, बेगूससराय जिलाक बछवाड़ा थाना क्षेत्र के केदराबाद गाम निवासी आ पुलिस मित्र अनिरुद्ध कुमार (35) पूजा अर्चना करबाक लेल विद्यापति धाम आयल छल।

    पूजा करबाक बाद जहन मोटरसाइकिल सं अप्पन घर जा रहल छल तहने बजरंगी चौक पर घात लगा कय मोटरसाइकिल सवार अपराधी कुमार के गोली मारि देलक, जाहि सं मौके पर अनिरुद्ध के मौत भय गेल। पुलिस मौका पर पहुंचकय लाश के अप्पन कब्जा मे लय लेलक अछि। हत्याक कारणक एखन धरि पता नहि चलल अछि।