ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय दीक्षांत समारोह’क लेल तैयार

    0
    334

    दरभंगा, मिथिला मिरर: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय अप्पन सातम दीक्षांत समारोहक आयोजनक तैयारी मे जुटि गेल अछि। पूरा परिसर गुलजार भय गेल अछि। 25 टॉपर व पीएचडी डिग्रीधारी सहित पीजी के सब छात्र पूरा उत्साह मे अछि। अहि के संग गाउन पहिरने लोक के अपना दिस आकर्षित कय रहल बेटीक उपस्थिति सं विवि प्रांगण असज्जित लागि रहल छल।

    दोसर दिस कुलगीतक तैयारी मे लागल छात्रा डॉ. नागेंद्र झा स्टेडियम मे रिहर्सल केलनि। कुल मिलाकय परिसर मे उत्सवी माहौल अछि। सब दिस महामहिम के आगमनक तैयारी चलि रहल अछि। ओतहि दीक्षांत के दौरान के कार्यक्रम के टिप्स वीसी प्रो. साकेत कुशवाहा बारीकी सं छात्र-छात्रा के देबा मे लागल छथि।

    मौका पर प्रो. एस मुमताजुद्दीन, कुलसचिव डॉ. अजीत कुमार, डॉ. अजीत कुमार चौधरी, डॉ. रहमतुल्लाह सहित दर्जनो गणमान्य व्यक्ति मौजूद छलाह। सुरक्षाक लेल प्रशासन तथा पुलिसक सक्रियता बनल अछि।