मधवापुर प्रमुख’क घर मे 15 लाखक चोरी

    0
    294
    दरभंगा, मिथिला मिरर: साहरघाट थाना क्षेत्रक नायकगेट के समीप स्थित मधवापुर प्रखंड प्रमुख रिंकू देवी के घर सं चोर करीब 15 लाख रुपैयाक जेवरात तथा मोबाइल सहित अन्य सामानक चोरी कय लेलक। घटनाक जानकारी तहन भेल, जहन घरक सदस्य मंगलदिन राति काठमांडू सं घर पहुंचल।सूचना पर पहुंचल पुलिस मामलाक जांच कय रहल अछि।
    वापस घर एला पर सब गेट, ट्रंक व अलमारीक ताला टूटल देखि सब हैरान छल। जेवरात सहित सब कीमती सामान गायब छल। रिंकू देवीक पति मोहन चौधरी घटनाक जानकारी तत्काल थाना पुलिस के देलनि। पुलिस घर पर पहुंच कय छानबीन शुरू कय देने अछि।
    स्थानीय लोकक अनुसार घर सूना देखि चोर आराम सं चोरीक वारदात के अंजाम देलक। बिखरल सामान मे नास्ताक सामान सेहो फेंकल भेटल अछि। घटना कखन भेल, ई स्पष्ट नहि अछि मुदा गृहस्वामी संभावना जतेलनि अछि जे घटना पहिल जनवरीक राति मे भेल अछि।