दहेजक लेल विवाहिता’क हत्या, पति समेत दू गोट आरोपी गिरफ्तार

    0
    272

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहार के भागलपुर मे एकटा नवविवाहिताक दहेज के लेल हत्या करबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। घटना आदमपुर थाना क्षेत्रक दीपनगर के अछि। मृतका के परिजन के अनुसार घटना मंगलदिन देर राति के अछि।

    साल 2015 मे सात दिसम्बर क मनीषा’क विवाह मिंटू सं भेल छल। विवाहक बाद सं घर वला दहेज मे लगातार रुपैया आ सामानक मांग कय रहल छल। जाकर पूर्ति मनीषा’क परिजन कय रहल छलाह। हालक दिन मे जमीनक खरीददारीक लेल ससुरालक लोक तीन लाख रुपैयाक मांग केलनि, जकर पूर्ति मृतका के परिजन नहि कय सकल। अहि सं नाराज ससुरालक लोक मनीषा’क हत्या कय देलक। पुलिस आरोपी पति आ मृतका के देवर के हिरासत मे लय लेलक अछि।

    मृतकक परिजन जतय ससुरालपक्ष पर जलाकय हत्याक आरोप लगा रहल अछि, ओतहि दोसर पक्ष बिजलीक करेंट सं झुलसि कय मनीषाक मरबाक बात कहि रहल अछि। घटना के बाद सं आदमपुर थाना पुलिस मामला के जाँच कय रहल अछि।