प्राथमिक शिक्षा मे मैथिली भाषा के शामिल करबाक लेल शिक्षा मंत्री के देल गेल ज्ञापन

    0
    281

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत कुमार झा: बुधदिन डा. मदनमोहन झाक नेतृत्व मे बिहार प्राथमिक शिक्षा मे मैथिली पढौनी, मैथिलीक शिक्षक बहाली आ एमआइएल मैथिलीक पुनः स्थानक लेल शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी के ज्ञापन सौपाल गेल।

    अहि क्रम मे मिथिला आंदोलनक अग्रणी चेहरा डा. वैद्यनाथ चौधरी वैजू, कमला कान्त झा, डा. बूचरू पासवान, चन्द्रेश, उदय शंकर मिश्र, सीताराम चौधरी, रियाज अली खान आदि लोकनि उपस्थिति छलाह।