गाजियाबादकें खोरामे महाशिवरात्री पर्वक संग सांस्कृति कार्यक्रमक आयोजन

    0
    407

    दिल्ली/गाजियाबद, मिथिला मिरर-निशांत झा: खोडा कॉलोनी’क मिथिला विहार’क शिव हनुमान मंदिर परिसरमे महाशिवरात्री पर्व समारोहक आयोजन कएल जा रहल अछि। महाशिवरात्रीके अहि अवसर पर पूजाक उपरांत संध्याकाल 6 बजे सं सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजक कएल जाएत। कार्यक्रमक मुख्यअतिथि शाहीबावाद विधानसभा सं निवर्तमान विधायक पंडित अमरपाल शर्मा उपस्थित रहताह।

    आयोजन समिति’क कोषाध्यक्ष प्रभु नाथ ठाकुर कहलनि जे, 1992मे शिव मंदिरक निर्माण भेल छल, जाहीकेँ बाद सं एतय महाशिवरात्री पर्वक आयोजन कएल जाएत अछि। सांस्कृतिक कार्यक्रममे एक दर्जन मैथिल गायक-गायिका उपस्थित रहताह।