मधुबनी-सीतामढ़ी पथ पर पानि सं भरल पोखरि मे खसल बस, लगभग 50 टा यात्री लापता

    0
    499

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: बिहार के मधुबनी जिला मे सोमदिन यात्री सं खचाखच भरल एकटा यात्री बस विशाल पोखरि मे पलटि गेल। अहि दुर्घटना मे 50 स अधिक यात्रीक मौतक अाशंका व्यक्त कायल जा रहल अछि। बस पोखरि मे भरल पानि मे बहुत देर धरि डूबल रहल, जाहि सं दुर्घटना मे अधिकांश यात्रियक मौतक आशंका व्यक्त कायल जा रहल अछि। सूत्रक अनुसार एखन धरि 4 टा लहास आ तीन टा जीवित व्यक्ति के निकालल जा चुकल अछि।

    दुर्घटना के बाद राहत व बचाव कार्य मे प्रशासनिक सुस्ती के लय स्थानीय लोक मे भारी आक्रोश व्याप्त अछि। मौका पर पहुँचल मधुबनीक उप विकास आयुक्त हाकिम प्रसाद, सदर एसडीओ शाहिद परवेज सहित स्थानीय प्रशासनिक तथा पुलिस पदाधिकारी पर उग्र ग्रामीण पथराव केलनि।

    जानकारी के अनुसार बेनीपट्टी थाना क्षेत्र अंतर्गत बेनीपट्टी-पुपरी पथ पर बसैठ चौक के निकट सुंदरपुर टोल गाम मे दिनक लगभग 11 बजेक घटना अछि। घटना स्थल पर भारी संख्या मे ग्रामीणक भीड़ जमा अछि। फिलहाल प्रशासन दू टा जेसीबी’क मददि सं बस के निकालबाक कोशिश मे लागल अछि।

    बेनीपट्टी स पुपरी जाय बला सागर ट्रैवल्स के बस एसएच (स्टेट हाइवे) 52 पर बसैठ चौक स एक किमी के दूरी पर सुंदरपुर टोल गाम मे पोखरि मे खसि पड़ल।