मधेपुरा-सहरसा-मानसी रेल लाइनक होएत विद्युतीकरण

    0
    435

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: मानसी जंक्शन सं भाया सहरसा दौराम मधेपुरा रेलवे स्टेशनक बीच 63 किमी लंबा रेल लाइनक विद्युतीकरण काक कएल जाएत। अहिक लेल रेलवे हरियर झंडा देखा देलक अछि। विद्युतीकरणक ई काज पावर ग्रिड कॉरपोरेशनकें देल गेल अछि। अहि काजक लेल रेलवे 77.03 करोड़ रुपैया खर्च कय रहल अछि। अहि मार्गक विद्युतीकरण भेला सं एतय विद्युत इंजनक परिचालन शुरू भए जाएत। मधेपुरामे निर्माणाधीन ग्रिन फिल्ड विद्युत रेल इंजन फैक्ट्रीमे निर्मित इंजन सेहो अहि मार्ग सं जाएत।

    मानसी-मधेपुरा रेल लाइनक विद्युतीकरण भेला सं विद्युत रेल इंजनक आवागमन सुलभ भय जाएत आ देशक महानगरकें जोड़बाक लेल एक्सप्रेस ट्रेन सेहो अहि मार्ग सं चलत। एखन मानसी-सहरसा धरि किछु एक्सप्रेस गाडी चलाओल जाइत अछि।

    पैघ-पैघ एक्सप्रेस गाडी मानसी सं नवगछिया होइत कटिहार आ आगू बंगाल, असाम जाइत अछि, मुदा विद्युतीकरणक बाद बहुतो एक्सप्रेस ट्रेन मानसी-सहरसा-मधेपुरा-पूर्णिया होइत कटिहार आ आगू धरि सुगमतापूर्वक चलत।