मधुबनी, मिथिला मिरर: प्रखण्डक मध्य सह नव उत्क्रमित उच्च विद्यालय अड़रिया संग्राममे दसमा एवं नउँमा’क छात्र-छात्रा सब शुक्रदिन जमिकय हंगामा केलक। छात्र छात्रा विद्यालयके समक्ष स्थित सड़क पर प्रदर्शन केलक आ सड़क पर बैसि गेल। प्रदर्शन कय रहल छात्र छात्राके समर्थनमे अन्य जूनियर वर्गक सेहो छात्र-छात्रा अप्पन भागीदारी देलक। मौका पर जिला पार्षद मो. रेजाउद्दीन सेहो पहुँचलाह आ छात्र छात्राकें अप्पन नैतिक समर्थन देलनि। बादमे झंझारपुरकें सीओ हेमंत कुमार दास, बीआरसी अरूण कुमार विद्यालय पहुंचि कय आक्रोशित छात्र छात्राकें शांत करौलनि।
हंगामा कय रहल छात्र-छात्राक कहब छल जे, दसम वर्गक जांच परीक्षामे प्रभारी हेडमास्टर रामाशीष महतो 55 रुपैयाके बदले 120 रुपैया शुल्क लय रहल छथि। एतबे नहि दसम वर्गक परीक्षा फार्म भरबामे 740 रुपैया प्रति छात्र-छात्रा शुल्क लेल जाइत अछि। जहन कि वास्तविक शुल्क अहि सं कम अछि। आब निबंधन संख्या देबा तथा एडमिट कार्ड देबाक एवजमे सेहो प्रधानाध्यापक द्वारा 120 रुपैयाक मांग कायल जा रहल अछि।
स्कूलक प्रधानाध्यापक कहलनि जे, निबंधन संख्या ऑनलाइन निकालबामे खर्च अबैत अछि। अहि लेल विद्यार्थी सं प्रति छात्र तीस रुपैयाक मांग कायल जाइत अछि।



