बढ़ैत अपराधक खिलाफ जनाधिकार पार्टी करौलक मोतिहारी बंद

    0
    266

    मोतिहारी, मिथिला मिरर: बिहार मे बढ़ैत अपराध आ पूर्व सासंद शहाबुद्दीनक जेल स रिहाई के खिलाफ जनाधिकार पार्टी शुक्रदिन मोतिहारी बन्द करौलक। पार्टी के संस्थापक अध्यक्ष आ मधेपुराक सांसद पप्पू यादव मोतिहारी नगर के गांधी चौक पर नुक्कड़ सभा के सम्बोधित करैत राज्य सरकार, राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद आ विपक्ष पर जोरदार प्रहार केलनि।

    शहाबुद्दीनक रिहाई आ राजद-जदयू के वाकयुद्ध पर ओ कहलनि जे नीतीश कुमार के मुख्यमंत्री बनल रहबाक कोनो अधिकार नहि छन्हि। हुनका पदत्याग कय जनता के दरबार मे एबाक चाही आ फेर सं जनताक विश्वास लेबाक चाही।

    ओ कहलनि जे राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद जाति के स्तर पर उन्माद मचा रहल छथि। नुक्कड सभा के बाद लोक जनअधिकार पार्टी के सदस्य नगर मे घुमि-घुमि के दोकान सब के बन्द करौलक।