शहीदक अंतिम संस्कारमे पहुँचलाह पप्पू यादव, एमएलसी सुमन महासेठ सेहो छलाह उपस्थित

    0
    316

    मधुबनी, मिथिला मिरर: आय शनिदिन शहीद विकास कुमार मिश्रक अंतिम संस्कार राजकीय सम्मानक संग संपन्न भेल। अंतिम संस्कार शहीदक पैतृक गाम रैयाम मे कायल गेल, जतय बहुतो गणमान्यक संग हजारोक संख्या मे लोक उपस्थित भय शहीद विकास मिश्र के श्रधांजलि देलनि।

    शहीदक अंतिम संस्कार मे जनसैलाव उमड़ी पड़ल छल, जाहि मे जनधिकार पार्टीक संयोजक तथा सांसद पप्पू यादव समेत मधुबनीक एमएलसी सुमन महासेठ, डीएम, एसपी, एसडीओ, बीडीओ, सीओ समेत बहुतो लोक उपस्थित छलाह। प्रख्यात शिक्षाविद सुनील झा के अनुसार शहीदक अंतिम संस्कार मे 20 हजार सं अधिक लोक आबि कय शहीद के श्रधांजलि देलनि, मुदा अहि भीड़ के नियंत्रित करबाक लेल प्रशासन दिस सँ कोनो इंतज़ाम नहि कायल गेल छल। जाहि कारने तीन गोटे बेहोश भय खसि पड़लाह।

    अहि मौक़ा पर शहीद विकास मिश्रक परिजन के राज्य सरकार द्वारा 11 लाखक चेक देल गेल। अहि अवसर पर ग्रामीण द्वारा पैट घाट सं विरोल, निरभापुर तथा मैलाम होइत भगवानपुर जाय वला नवनिर्मित मुख्य मार्गक नाम शहीद विकास मिश्रक नाम पर रखबाक मांग कायल गेल। संगहि गाम मे बनि रहल उच्च विद्यालय के नामकरण तथा गामक दूनू छोड़ पर शहीद विकास मिश्रक नाम पर मुख्यद्वार बनेबाक सेहो मांग कायल गेल।