दहेजक लेल पति द्वारा जिंदा जराओल गेल फेर एकटा ‘दुलरी’

    0
    268

    कटिहार, मिथिला मिरर: बिहारक कटिहारमे दहेजक लेल एकटा नवविवाहिताक हत्या कए देल गेल। घटना मनसाही थाना क्षेत्रक विसनपुर गामक अछि। जानकारीक मुताबिक लगभग एक साल पहिने रीना आ धनंजयकें बियाह भेल छल। बियाहक बाद सं धनंजय सबदिन रीनाक घरवला सं दहेजक मांग करैत छल। रीनाक घरवला जहन दहेज देबाक लेल अपन असमर्थता जता देलक त धनंजय मटिया तेल छिड़कि कए रीनाकें जिंदा जला देलक।

    रीनाकें गंभीर हालतमे सदर अस्पतालमे इलाजक लेल भर्ती कराओल गेल। जतय इलाजक दौरान ओकर मौत भए गेल। घटनाक बाद सं आरोपी धनंजय फरार अछि। फिलहाल पुलिस पूरा मामलाक छानबीन कए रहल अछि आ आरोपीक गिरफ्तारीमे जुटल अछि।