हाईवे पर लूटक घटनाकें अंजाम दय वला अपराधी हथियार समेत गिरफ्तार

    0
    344

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा पुलिस छापेमारी कय हाईवे पर लूटक घटनाकें अंजाम देबय वला लुटेरा कें गिरफ्तार केलक अछि। जिलाक सिमरी थाना क्षेत्रक एनएच 57’कें तैलिया पोखरिके समीप पुलिस ई कार्रवाई केलक अछि। पकड़ल गेल लुटेरा हाइवे पर ट्रक-बसमे लूटपाट करैत छल। पुलिस एहेन पांच गोट कुख्यात हाइवे लुटराकें गिरफ्तार केलक अछि।

    गिरफ्तार अपराधीके संग सं पुलिस बन्दुक, जिन्दा कारतूस, नशीला दवाई, दू बोतल विदेशी शराबके संग-संग चारि टा मोबाइल सेहो बरामद केलक अछि। दरभंगा एसएसपी सत्यवीर सिंह कहलनि जे, अहि हाइवे लुटेराकें विषय मे गुप्त सूचना भेटल छल जे, अपराधी पैघ माल वाहक गाड़ीकें हाइजैक कय लुटैत अछि।

    अहि योजनाके संग अपराधी दरभंगा पहुंचल छल। ई अपराधी हाइवे पर पूर्णिया सं गोपालगंज तक हाइवे लूटपाटमे सक्रिय छल। पुलिस पकड़ल गेल अपराधी सं पूछताछ कय रहल अछि।