सोमदिन बिहार विधानसभा सं जीएसटी बिल पास

    0
    269

    पटना, मिथिला मिरर: सोमदिन बिहार विधानसभा सं जीएसटी बिल सर्वसम्मति पास कएल गेल। सोमदिन बिहार विधानसभाक एक दिनक विशेष सत्र बजाओल गेल छल। अहि एक दिवसीय सत्रमे जीएसटी समेत पांच विधेयककें सदन पटल पर राखल गेल। जीएसटी बिल पास हेबा पर बिहार विधानसभामे प्रतिपक्षकें नेता प्रेम कुमार मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकें बधाई देलनि। उम्हर, कांग्रेस विधानमंडलके नेता सदानंद सिंह जीएसटी बिलमे देरीक लेल बीजेपीकें जिम्मेदार ठहरेलनि।

    बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी सेहो जीएसटी बिल पास हेबा पर बधाई देलनि। ओ कहलनि जे, अहि बिलके पास भेला सं देशमे विकासक गति ओर तेज होएत।

    सोमदिन पेश विधेयकमे बिहार माल आ सेवा कर विधेयक, बिहार कराधान विधेयक, बिहार राज्य विश्व विद्यालय संशोधन विधेयक, पटना विश्वविद्यालय संशोधन विधेयक आ भू-अर्जन पुनर्वासन तथा पुनर्व्यवस्थापनमे उचित प्रतिकर पादर्शिता अधिकार संशोधन विधेयक शामिल अछि।