गिरिराज सिंह कहलनि ‘यदि नीतीश संग देथि त बिहार विकासक रास्ता पर आबि जायत’

    0
    293

    पटना, मिथिला मिरर: केंद्रीय मंत्री आ नवादा सं सांसद गिरिराज सिंह एक बेर फेर बिहारक मुख्मंत्री नीतीश कुमार पर हमला केलनि। ओ कहलनि जे, नीतीश केवल बजैत छथि, काज नहि करैत छथि। ओ कहलनि जे, नीतीश जतेक निश्चय यात्रा कय लथि, बिहारक विकास नहि कय सकताह।

    गिरिराज सिंह कहलनि जे, नीतीश एकटा निश्चय बिसरि कय आगुक निश्चय यात्रा पर निकलि जाइत छथि। सब दिन एकटा नव जगह निश्चय यात्रा पर निकलैत छथि। मुदा बिहार के रोजगार योग्य नहि बना पाबि रहल छथि। अहि के लेल गिरिराज सिंह इशारा-इशारा मे कही देलनि जे, यदि नीतीश कुमार संग दथि त बिहार के विकासक रास्ता पर आनल जा सकैत अछि।है.