बूथ स्तर पर भाजपा मनाओत विजय उत्सव : घनश्याम ठाकुर

    0
    272

    मधुबनी, मिथिला मिरर-निशांत झा: भाजपा 18 मार्च कए समुच्चा देशमे बूथ स्तर सं राष्ट्रीय स्तर तक विजय उत्सव मनाओत। उक्त बात भाजपाकें मधुबनी जिलाध्यक्ष घनश्याम ठाकुर बृहस्पति दिन प्रेस वार्तामे कहलनि। भाजपा कार्यालयमे आयोजित प्रेस वार्तामे ओ कहलनि जे, प्रधानमंत्री मोदी’क सबका साथ सबका विकास एवं राष्ट्रीय अध्यक्ष अमीत शाहकें श्रेष्ठ संगठन, कौशल सुशासन, जनोन्मुखी विकास, गरीब कल्याण योजना पर जनता मोहर लगा देलक अछि।

    ओ कहलनि जे, आब जातीय एवं संप्रदाय आधारित राजनीतिकें जनता नकारि देने अछि। ओ उत्तर प्रदेश, उत्तराखंड, गोवा एवं मिजोरम एवं मणीपुरमे भाजपाक सरकार बनबाक हर्ष व्यक्त केलनि। प्रेसवार्तामे देवेंद्र प्रसाद यादव, कुशेश्वर प्रसाद कुशवाहा, मनोज कुमार मुन्ना, राजकिशोर मिश्र, शंभू झा, अरूण कुमार महतो, राजकिशोर मिश्र, शंभू झा, अरूण कुमार महतो सहित बहुतो भाजपा नेता मौजूद छलाह।