मधुबनी रेलवे स्टेशन पर फुटओवर ब्रिज के शुभारंभ

    0
    312

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: मधुबनीक जनता के शनिदिन बहुप्रतीक्षित सुविधाक सौगात भेटल। मधुबनी रेलवे स्टेशन पर सांसद हुक्मदेव नारायण यादव शनिदिन फुट ओवर ब्रिज आ वाटर वेंडिंग मशीनक लोकार्पण केलनि।

    बता दी जे, आदर्श रेलवे स्टेशन मधुबनी मे तीन टा प्लेटफार्म अछि, मुदा फुट ओवर ब्रिज के अभाव मे एतय बेसी काल हादसा होइत रहैत छल। आय अहि 75 लाख रुपैयाक लागत सं बनल अहि ब्रिज के देखि लोक में उत्साह देखल जा रहल अछि।

    लोकार्पण कार्यक्रम के दौरान सांसद यादव कहलनि जे, मधुबनी सहित पूरा मिथिलांचल मे रेलवे के विकास भय रहल अछि। जाहि के लेल केंद्र सरकार वचनबद्ध अछि। अहि लोकार्पण के अवसर पर स्थानीय विधायक समीर कुमार महासेठ, पूर्व विधायक रामदेव महतो के अलावा रेलवे के वरीय अधिकारीगण सेहो मौजूद छलाह।