केंद्र सरकार मे हर 8’म सचिव आ देश मे हर 10’म आईएएस बिहारक

    0
    362

    दिल्ली, मिथिला मिरर: बिहारी, देशक सब कोन मे पसरल अछि। कोनो माहौल मे अप्पन उपस्थिति दर्ज करेबा मे बिहारक लोक सब सं आगू रहैत अछि। देश मे अधिकांश जहग बिहारी के अशिक्षित आ बकलेल बुझल जाइत अछि, मुदा ई बात सुनी कय अहाँ आश्चर्यचकित रहि जायब। एकटा प्रतिष्टित हिंदी न्यूज़ पोर्टल ‘इंडिया संवाद’ के अनुसार आईएएस कैडर के हर 10’म आदमी बिहारक अछि आ केंद्र सरकारक हर आठम सचिव बिहार कैडर के अछि।

    1972 बैचक आईएएस अधिकारी पीके मिश्रा प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी के अतिरिक्त प्रधान सचिव छथि। 1980 बैचक अरुण झा प्रधानमंत्री मोदी के नौ रत्न मे शामिल छथि आ ओ राष्ट्रीय जनजाति आयोगक सचिव छथि। 1982 बैचक गिरिश शंकर भारी उद्योग विभागक सचिव छथि। ई केंद्र सरकार मे अहम विभाग मानल जाइत अछि। अहि सं पहिने ओ गृह मंत्रालय मे अरुण जेटली के संग छलाह।

    बिहार कैडर के चर्चीच अधिकारी अमिताभ वर्मा जहाजरानी मंत्रालय के अधीन अंतद्रेशीय जल परिवहन प्राधिकारक अध्यक्ष छथि। हिनके देख-रेख मे जल परिवहनक बहुतो योजना चलि रहल अछि। 1982 बैचक नवीन वर्मा के उत्तर पूर्व क्षेत्र विकास मंत्रालय के सचिव बनाओल गेल अछि। 1997 बैचक युवा संतोष मल्ल के केंद्रिय विद्यालय संगठनक आयूक्त के रुप मे तैनात कायल गेल अछि। देश भरि मे पसरल सैकड़ो केंद्रीय विद्यालयक देखरेखक जिम्मेदारी अहि संगठन पर अछि। 1980 बैचक आईएएस नरेंद्र कुमार सिन्हा दू गोट विभागक सचिव छथि। संस्कृत मंत्रालय मे तैनात छथि आ पर्यटन के अतिरिक्त जिम्मेवारी हिनका पर छन्हि।

    सीके मिश्रा के पैघ जवाबदेही भेटल छन्हि, ओ स्वास्थ्य एंव परिवार कल्याण मंत्रालयक सचिव छथि।1982 बैचक रश्मि वर्मा वस्त्र मंत्रालय के सचिव छथि। बिहार कैडर के तेजतरार्रआईएएस भानू प्रताप शर्मा कार्मिक एंव प्रशिक्षण, लोक शिकायत एंव पेशन मंत्रालय के सचिव छथि, ई विभाग प्रधानमंत्री के अधिन अछि। संजीव हंस खाद्य एवं जनवितरण केंद्रीय मंत्रालय के आप्त सचिव छथि।

    एतबे नहि, केंद्र मे 52 विभाग अछि जाहि मे हर 7’म सचिव बिहार कैडर के अछि। बिहार कैडर के कुल 42 आईएएस केंद्रिय प्रतिनियुक्ति पर अछि। अहि मे सब सं चर्चीच नाम एस सर्वानन, संजीव हंस, एन सरवन कुमार, सर्वानन एम, कुंदन कुमार, अभय कुमार सिंह आ बी कार्तिकेय के अछि।

    ग्रामीण विकास मे सेहो बिहार कैडर के दबदबा बनल अछि। नई दिल्ली मे साउथ बाल्क स्थित ग्रामीण विकास मंत्रायल मे पैर रखितहिं बिहारक माटिक खुशबू आबय लगैत अछि। एतय बिहार कैडर के सब सं अधिक आईएएस मौजूद अछि। अहि मे रमेश अभिषेक, अमरजीत सिन्हा, एम संतोष मैध्यू आ राजेश भूषण एहेन तेजतर्रार ऑफिसर तैनात छथि। अहि विभागक राज्यमंत्री रामकृपाल यादव सेहो बिहारक छथि। इंदिरा आवास आ ग्रामीण सड़कक निर्माणक जवाबदेही अहि विभाग पर अछि। 1987 बैचक बी प्रधान के गृह मंत्रालय मे परामर्शीक महत्वपूर्ण पद देल गेल अछि।

    अहि तरहे हम कहि सकैत छी जे, बिहारी अप्पन सत्कर्म सं सेहो लोकक बीच लोकप्रिय छथि। जे कियो बिहारी के तुच्छ या अशिक्षित बुझैत छथि हुनका ई आंकड़ा देखबाक आवश्यकता छन्हि।