संदिग्ध हालत मे अभियंता’क मौत, घर मे भेटल लहास

    0
    296

    दरभंगा, मिथिला मिरर: लहेरियासराय थाना क्षेत्रक बलभद्रपुर मोहल्ला मे रविदिन भोर मे जल संसाधन विभाग मे संविदा पर कार्यरत कनीय अभियंताक संदिग्ध हालत मे लहास बरामद कायल गेल। लहास अभियन्ताक घर मे भेटल अछि, जाहि के बाद इलाका मे सनसनी मचल अछि।

    घटनाक सूचना पर पुलिस मौका पर पहुंच कय लहास के कब्ज़ा मे लय पोस्टमार्टमक लेल डीएमसीएच पठा देलक। मृतक गोपालगंजक थावे के रहय वला छल। ओ बलभद्रपुर के सांडिल्य निवास मे किराया के कमरा लय कय रहैत छल। दू वर्ष पूर्व रिटायर भेलाक बाद फिलहाल एक्सटेंशन लय संविदा पर कार्य कय रहल छल.
    बताओल जा रहल अछि जे, रामयतन महतो तीन फरवरीक राति स ककरो फोन नहि उठा रहल छल। अहि पर शंका भेलाक बाद रविदिन परिजन व विभागीय स्टाफ जानकारी लेबाक लेल आवास पर पहुंचल। जतय दरवाजा अंदर स बंद छल। खिड़की स देखल गेल त ओ खसल पड़ल छल। परिजन तुरंत पुलिस के सूचना देलक। पुलिस के पहुंचलाक बाद दरवाजा खोलल गेल।