दरभंगा मे छापेमारी के दौरान आठ गोट लॉटरीबाज गिरफ्तार

    0
    398

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा पुलिस गुप्त सूचनाक आधार पर नगर थाना के गुल्लोबाड़ा मोहल्ला मे छापेमारी कय आठ गोट लॉटरीबाज के गिरफ्तार केलक अछि। अहि गिरफ्तार आरोपी के संग सं मौका पर लॉटरीक सामन, साढ़े आठ हजार रुपैया, छह गोट मोबाइल सहित दू टा मोटरसाइकिल आ छह टा साइकिल बरामद भेल अछि।

    छापेमारी के समय किछु आरोपी भगबा मे सफल रहल जकर साईकिल छुटि गेल। एएसपी दिलनवाज अहमद अप्पन टीमक संग उक्त कारवाई के अंजाम देलनि। बताओल जा रहल अछि जे, उक्त जगह पर बहुत दिन सं जुआक अड्डा चलि रहल छल। जाहि सं मोहल्ला के लोक के अक्सर परेशानीक सामना करय पड़ैत छल।