मुजफ्फरपुर मे आपसी विवादक कारने बच्चाक मौत

    0
    321

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के महंत मनियारी किशुनपुर टोल मे आपसी विवाद मे किछु लोक एकटा बच्चा के मारि देलक। अहि मामला मे मृतक के काका गामक 19 गोटे पर नामजद प्राथमिकी दर्ज करेलक अछि। आरोपीक गिरफ्तारी के मागक लेल दर्जनो लोक मनियारी थाना पर जमिकय हंगामा केलक। साँझ मे थानाध्यक्ष द्वारा गिरफ्तारीक आश्वासन देलाक बाद लोक शांत भेल।

    मृतक बैद्यनाथ सहनीक नौ वर्षीय पुत्र बबलू कुमार बताओल गेल अछि। मृतक के काका जगन्नाथ सहनी थाना मे आवेदन कय बतौलक जे, रविदिन आरोपी लाठी- डंडा तथा हथियार सं घर पर हमला कय देलक। अहि दौरान भीड़ सीमेंटक बोरा बबलू के माँथ पर खसा देलक, जाहि सं ओ मौका पर अचेत भय गेल। हल्ला केलाक बाद जुटल लोक गंभीर हालत मे बबलू के केजरीवाल अस्पताल मे भर्ती करौलक, जतय इलाजक दौरान सोमदिन ओ दम तोड़ि देलक।

    मामला मे हरेंद्र सहनी, मुखलाल सहनी, सुखलाल सहनी, राकेश कुमार, मुकेश कुमार, सरिता देवी, रसिले देवी, पूनम देवी, गीता देवी, उषा देवी, राम एकबाल सहनी, नरेश सहनी, सुरेश सहनी, वकील सहनी, प्रमोद सहनी, अमोद सहनी, सुरेंद्र सहनी तथा विकास सहनी शामिल अछि।