जिलाधिकारी द्वारा जिला खनन पदाधिकारी’क वेतन रोकबाक निर्देश

    0
    395

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिला पदाधिकारी प्रणवकें अध्यक्षतामे राजस्व एवं आंतरिक संसाधनक बैसक समाहरणालयमे संपन्न भेल। बैसक सं बिना सूचना अनुपस्थित जिला खनन पदाधिकारी’क वेतन रोकबाक निर्देश देल गेल। ओतहि विभूतिपुर अंचलमे एमजेसीक दू टा मामला तथा सीडब्लूजेसीक सात मामला लंबित रहबाक कारने विभूतिपुर सीओकें फटकार लगाओल गेल। एक सप्ताहके भीतर काजक निष्पादन करबाक अन्यथा ओहिकें विरूद्ध प्रपत्र ‘क’ गठित कय अनुशासनात्मक कार्रवाई करबाक निर्देश देल गेल अछि।

    बैसकमे विभिन्न विभाग द्वारा लक्ष्यक अनुरूप कएल गेल राजस्व संग्रहणक अतिरिक्त लोक सेवा अधिकार अधिनियम, लोक शिकायत निवारण अधिनियम, विधि मामला, भूमि विवाद निवारण, नीलामपत्र वाद, लोक भूमि अतिक्रमणवाद, बहुग्रामीण जलापूर्ति योजना, भू-अभिलेखक कंप्यूटीकरण, दाखिल खारिज, वास भूमि आदि बिदुक समीक्षा करबाक आवश्यक निर्देश देल गेल। बैसकमे जिलाधिकारी संबंधित विभागक राजस्व संग्रहणमे तेजी अंबा तथा शत-प्रतिशत लक्ष्य प्राप्त करबाक निर्देश देलनि।