दरभंगाकें मब्बी थानाक समक्ष भाकपा माले’क प्रदर्शन

    0
    395

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: आवासकें सवाल पर भूमिहीन गरीबक चलि रहल अनशनके समर्थनमे एन एच 57 पर चलि रहल चक्का जाम पर लाठी चार्जकें खिलाफ बुधदिन भाकपा (माले)क बैनर तर सैकड़ो ग्रामीण मब्बी थानाक समक्ष आक्रोशपूर्ण प्रदर्शन केलनि। प्रदर्शन गेंहुमि ओवरब्रिज सं शिवधारा चौक, बाजार समिति होईत मब्बी थाना परिसर धरि चलल।

    थानाक समक्ष प्रदर्शनकारी जमि कय नारेबाजी केलनि। प्रदर्शनकारी लाठीचार्जके जिम्मेवार थानाध्यक्षकें निलंबित करबाक, भू-माफिया-पुलिस प्रशासनकें खिलाफ जमि कए नारेबाजी केलनि। प्रदर्शनक नेतृत्व माले राज्य कमिटीक सदस्य अभिषेक कुमार, शिवन यादव, इंसाफ मंचके नेयाज अहमद, लोकल सचिव अमित पासवान, पप्पू पासवान, विनोद राम, शीला देवी स अमर मांझी केलनि।