टेम्पू चालकक समस्या’क निदानकें लेल धरना प्रदर्शन

    0
    395

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार स्टेट ऑटो चालक संघक जिला इकाई द्वारा समस्याक निदान हेतु सात सूत्री मांगक लेल जिलाध्यक्ष सुनील कुमार मिश्रक अध्यक्षतामे समाहरणालयके समक्ष धरना प्रदर्शन केलनि। मौका पर संघक शिष्टमंडल जिला समार्हताकें मांगक ज्ञापन सौपल गेल।

    संघक मुख्य मांगमे ऑटो स्टैण्डक निर्माण, मधुबनी शहरक विभिन्न रूट सं ठहराव एंव यात्रीक सुविधा, जिलास्तरीय सब स्टेशन पर ऑटो रिक्शाक निर्धारित राशि सं अधिक गलत रूप सेसं राशिक वसूली पर रोक, ट्रैफिक पुलिस द्वारा आटो चालक सं जबरदस्ती वसूली पर रोक, ऑटो चालकक परमिट जिला मुख्यालय सं निर्गत।

    पुल टैक्स ऑटो रिक्शाकें गलत परिभाषित कय टैक्सीक किराया 20 रूपया प्रति ऑटो रिक्शाक वसूली प्रति खेप बंद करबाक, आटो रिक्शाक निर्धारित राशिक वसूली दिनमे एक बेर।

    प्रदर्शनमे अरूण मिश्रा, रामपरी, भोगेन्द्र यादव, गणपति झा, शिवनाथ झा, इंदू यादव सहित अन्य संघ के सदस्य ने हिस्सा लेलनि।