दरभंगा व्यवसायी हत्याकांडक आरोपी गिरफ्तार

    0
    390

    दरभंगा, मिथिला मिरर: पिछला 8 अगस्तक राति मे दरभंगाक दुर्गा फ्लावर मिलक मालिक गलवारह निवासी विनोद सवायेका पर भेल फायरिंग मामला मे पुलिस के पैघ सफलता हाथ लागल अछि। सूत्रक अनुसार सीसीटीवी फुटेजक आधार पर हत्या मे संलिप्त अपराधी के गिरफ्तार कायल जा चुकल अछि। संगहि वारदात मे इस्तेमाल कायल गेल मोटर साइकिल सेहो बरामद कायल गेल अछि।

    पुलिसिया पूछताछ प्रभावित होयबाक आशंकाक मद्देनजर मामला के जाँच मे जुटल पुलिसक टीम पुरा जानकारी देबा स फ़िलहाल बचि रहल अछि। ज्ञात हो कि विनोद 8 अगस्त कय अप्पन कार्यालय स वापस घर जा रहल छलाह कि तखनहि मोटरसाईकिल सवार अपराधी विनोद के गोली मारि कय हाथ स रुपैयाक थैला लय क भागि गेल छल।