दरभंगा मे रोजगार सह मार्गदर्शन मेलाक आयोजन

    0
    506

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा के रामनगर आईटीआई प्रांगण मे बिहार सरकार श्रम संसाधन विभाग द्वारा विश्वविद्यालय स्तरीय रोजगार सह मार्गदर्शन मेलाक आयोजन कायल गेल। जकर उद्घाटन उपनिदेशक मनोज कुमार शर्मा केलनि। अहि विश्वविद्यालय स्तरीय रोजगार सह मार्गदर्शन मेला मे दरभंगा, मधुबनी सहित समस्तीपुर के सैकड़ोक संख्या मे अभ्यर्थी भाग लेलनि।

    अहि मेला मे एलआईसी, आईडीबीआई इंसोरेंस कम्पनी तथा मुजफ्फरपुर, पटना सहित बहुतो ठाम सं लगभग 9 टा कंपनी स्टॉल लगेने छल, जाहि मे एक हजार सं अधिक अभ्यर्थिक आवेदन जमा हेबाक संभावना अछि। जिला नियोजन पदाधिकारी अश्वजीत पराशर कहलनि जे, युवा के नौकरीक लेल रिज्यूम देबाक लेल कम्पनी मे नहि जाय पड़य ताहि दुआरे दरभंगा प्रमंडल मे रोजगार सह मार्गदर्शन मेलाक आयोजन कायल जा रहल अछि।

    ओतहि अभ्यर्थिक आरोप अछि जे, तीन सं चारि बेर एलाक बादो अहि मेला मे कोनो नीक कंपनी नहि अबैत अछि। अहि रोजगार मेलाक लेल सरकारक खर्च व्यर्थ अछि। ककरो नौकरी नहि भेटैत अछि आ जं ककरो भेटितो अछि त वेतन कम हेबाक कारने दू सं तीन महिना के भीतर नौकरी छोड़बाक मज़बूरी भय जायत अछि।