दरभंगा मे बाजार सं रेलवे स्टेशन धरि चलल सघन जांच अभियान

    0
    263

    दरभंगा, मिथिला मिरर: गणतंत्र दिवस पर हाई अलर्ट घोषित होईते शहर सं लय कय रेलवे स्टेशन धरि बुधदिन सघन चेकिंग अभियान चलाओल गेल। सीमावर्ती थाना पर विशेष रूप स चौकसी बरतल गेल। नेपाल स सटल सीतामढ़ी जिला वला जाले, कमतौल थाना क्षेत्र मे सुरक्षा बढ़ा देल गेल।

    खुफिया एजेंसीक आशंका पर एसएसपी सत्वीर सिंह सब पदाधिकारी के अलर्ट रहबाक निर्देश देलक अछि। जिला के किछु जगह स नक्सली व आतंकी कनेक्शन स जुड़ल लोक के हालक दिन मे गिरफ्तारी भेला सं पुलिस सतर्क अछि। यैह कारण अछि जे, जगह-जगह पर चेकिंग अभियान चलाओल जा रहल अछि।

    मुख्यालयक निर्देश के बाद सब थानाध्यक्ष सतर्कताक संग विशेष अभियान चलेलक अछि। संदिग्ध गतिविधि के लोक पर नजरि रखबाक लेल स्थानीय लोक स सेहो सहयोग लेल जा रहल अछि। शक भेला पर अविलंब गिरफ्तारीक आदेश देल गेल अछि। अहि के संग सार्वजनिक स्थल, रेलवे स्टेशन, बैंक, बस अड्डा समेत सरकारी भवन के आसपास पुलिस नजरि रहने अछि।