कांवरिया के बेरोजगार कहलाक बाद, शरद यादव संग नीतीश कुमार पर मामला दर्ज

    0
    299

    पटना, मिथिला मिरर: कांवरिया के लय क विवादास्पद बयानक मामला मे सांसद शरद यादव आ बिहारक मुख्यमंत्री दुनू मुश्किल मे पड़ि सकैत छथि। बिहारक मुजफ्फरपुर मे नीतीश कुमार आ शरद यादवक खिलाफ मामला दर्ज कराओल गेल। नगर थाना क्षेत्रक अखाड़ाघाट निवासी अधिवक्ता मुकेश कुमार सीजेएम रामचंद्र प्रसादक अदालत मे मंगलदिन एकटा मामला दर्ज करौलनि।

    दर्ज मामला मे राज्यसभा सांसद शरद यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के आरोपित कायल गेल अछि।न्यायालय मे मामलाक सुनवाई आठ सितंबर के कायल जायत। अधिवक्ता मुकेश कुमारक आरोप अछि जे, शरद यादवक कांवरिया के लेल देल गेल अहि बयान स देशक शिक्षित बेरोजगार अपमानित भेल अछि।

    संगहि नीतीश कुमार शरद यादव के अहि तरहक बयान पर कोनो कार्रवाई नहि केलाह, जाहि स स्पष्ट होईत अछि जे, ई बयान एक-दोसर के सहमति स देल गेल। ओ कहलनि जे, शरद यादवक ई बयान भारतीय धर्म व्यवस्था पर कुठाराघात अछि, संगहि अहि तरहक बयान स देश मे ईर्ष्याक भावना जागृत होयबाक संभावना बढ़त।