मुजफ्फरपुरमे ट्रक समेत युवककें जिबैत जराओल गेल

    0
    285

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मोतीपुर थाना क्षेत्रक बरजी गाम इलाकामे सोमदिन भोरे ट्रक समेत एकटा  युवककें जिबैत ज़रा देल गेल। खलासी’क सीट पर लहासक अवशेष भेटलाक कारण पुलिस चालक या खलासीक मानि रहल अछि। सीटक समीप सं जरल रस्सी सेहो भेटल अछि। आशंका जताओल जा रहल अछि जे, ई काज लुटेरा लूटक घटनाकें अंजाम देबाक लेल केने होएत।

    एम्हर, मामलामे दफादारक बयान पर मोतीपुर थानामे हत्याक प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि।जाहिमे साक्ष्य छुपेबाक नीयत सं एहेन करबाक उल्लेख अछि। फोरेंसिक टीम सेहो घटनास्थल पर जांचक लेल पहुंचल अछि।

    पश्चिमी डीएसपी अजय कुमार कहलनि जे, प्रारंभिक जांचमे इंजनमे आगि लगबा सं ट्रक पर सवार व्यक्तिक मौत’क बात सामने आएल अछि। ट्रकक दावा करबाक लेल कोनो व्यक्ति थाना नहि पहुंचल अछि। मृतकक शिनाख्त सेहो नहि भेल अछि।