निगरानी विभागक हाथ लागल बिहार पुलिसक दू गोट ‘धन कुबेर’

    0
    292

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे निगरानी विभागक छापेमारी लगातार जारी अछि। विभाग दू गोट अलग-अलग जिला मे पदस्थापित दू टा पुलिस अधिकारी के पैतृक आ विभागीय आ‌वास पर छापेमारी केलक अछि।

    सोनपुर मे पदस्थापित राजीव नयन सिंह के पटना स्थित आवास पाटलीपुत्रा विला मे निगरानीक टीम छापेमारी केलक त ओतहि दोसर दिस खगड़िया मे पदस्थापित पुलिस अफसर महेन्द्र यादव के आवास पर सेहो छापेमारी कायल गेल।

    निगरानी विभागक अधिकारी फिलहाल जब्त कागज के मिलान मे लागल अछि। सूत्रक अनुसार सोनपुर मे पदस्थापित राजीव नयन सिंहक घर सं 1 करोड़ रुपैयाक चल-अचल संपत्तिक पता चलल अछि।

    राजीव नयन सिंह स फिलहाल पूछताछ जारी अछि। हालक दिन मे निगरानीक टीमक छापेमारी बिहार मे लगातार जारी अछि। टीम एखन धरि 100 स अधिक लोक के ट्रैप केलक अछि।