पटना, मिथिला मिरर, स्नेहा झा: भाजपा केँ प्रदेश मंत्री बुझौलनि विधानसभा चुनाव केँ जीतक फार्मूला कहला विपक्ष लग कोनो विजन नहि,विकासक कोनो योजना नहि ताहि कारणेँ असफल रहैत अछि। भाजपा आ एनडीए सरकार विकासक स्पष्ट रोडमैप रखैत अछि जकरा जनताक बीच जमीन पर उतारल जा रहल अछि। विपक्षी दल खाली साजिश आ अफवाह केँ चुनावी हथियार बना क’ जनता केँ मूर्ख बनबैत अछि। पश्चिमी जिला भाजपा कार्यालय मधुबन जगदीश मे आयोजित कार्यक्रम मे भाजपा केँ प्रदेश मंत्री सह तिरहुत क्षेत्रक सह प्रभारी नंद प्रसाद चौहान द्वारा कार्यकर्ता सभ केँ संबोधित कएल गेल आ आहवान करैत जनता केँ बीच जा क सरकारक योजना सभ केँ इमानदारी सँ रखबाक बात कयलनि जाहि सँ विपक्षक झूठ केँ उजागर कएल जा सकय।