बाणेश्वरी भगवती हॉल्ट निर्माण केर मांग लय धरनाक आयोजन

    0
    312

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: सकरी-जगदीशपुर रेलखंडक बीच कानेश्वर-धोरदौर लग बाणेश्वरी भगवती हॉल्ट निर्माण केर मांग लय जदयू केर वरिष्ठ नेता डॉक्टर राम मोहन झा केर नेतृत्व मे दरभंगा जंक्शन पर बृहस्पति दिन धरना केर आयोजन कायल गेल छल। रेलवे हाल्ट धरना क’ संबोधित करैत डॉक्टर राम मोहन झा कहलनि जे, 4 दिसम्बर 2008 क’ सकरी बिरौल रेलखंड केर उद्घाटनक क्रम मे कानेश्वरी गाम मे हॉल्ट निर्माण हेतु हजारो लोक सभ तत्कालीन रेल मंत्री लालू प्रसाद क’ ज्ञापन देने छलैन्ह।

    ज्ञापन केर आलोक मे बाणेश्वरी भगवती केर महत्ता क’ देखैत तत्काल बाणेश्वरी हॉल्ट निर्माण केर दिशा मे आवश्यक कार्रवाई शुरू भेल। मुदा एखन धरि ऐहिक निर्माण काज शुरू नहि कायल गेल अछि। ओ कहलनि जे, यदि तीन मासक भीतर निर्माण नहि कायल गेल तेँ एक बेर पुन: व्यापक जन आंदोलन केर माध्यम स रेल चक्का जाम कायल जायत।

    अहि अवसर पर अमित कुमार बिट्टू, संजीव कुमार झा, शंभू नाथ चौधरी, आशुतोष कुमार, राम सुफल यादव, रणधीर प्रसाद मुरारी, हरिनंदन प्रसाद गुप्ता, चंदन कुमार चौधरी तथा मोहम्मद अब्दुल्लाह अप्पन-अप्पन विचार व्यक्त केलन्हि।