छह सूत्री मांगक समर्थन मे बीडीओ के ज्ञापन

    0
    364

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा के जगदीशपुर नौतन प्रखंड परिसर मे बुधदिन प्रखंडक वार्ड सदस्यक बैसक भेल। जकरा बाद एकटा शिष्टमंडल बीडीओ कृष्णा राम के छह सूत्री मांगक संबंध मे एकटा ज्ञापन सौंपलक।

    वार्ड सदस्य संघक अध्यक्षा तैरून नेशा कहलनि जे, हमर मुख्य मांग मे आवास योजनाक द्वितीय आ तृतीय किस्त भुगतान कायल जाय। मनरेगा मे माइट भराई जेसीबी मशीन सं बंद कराओल जाए, उत्तर तेल्हुआ पंचायत मे खाली उप मुखियाक पद पर चुनाव करेबा समेत अन्य मांग शामिल अछि। अहि मौक़ा पर लालबाबू यादव, मैनुद्दीन मंसूरी, तपसी चौधरी, महेंद्र यादव, दीनानाथ सहनी, रामचंद्र बैठा समेत अन्य लोक मौजूद छलाह।