मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जिलाक साहेबगंज थाना क्षेत्र मे लगातार भय रहल लूट व हत्याक घटना सं लोक दहशत मे अछि। शुक्रदिन फेर अपराधी एकटा वारदात के अंजाम देलक अछि। महिला सेल्फ हेल्प ग्रुप सं रुपैया लय आबि रहल बंधन बैंक के कर्मचारी रवींद्र राम के लूटक दौरान गोली मारि देलक।
घटना खुरी पाकर गामक समीप के अछि। अहि दौरान बैंक कर्मी के बैग लूटि लेल गेल, जाहि मे 61 हजार रुपैया, मोबाइल आ मोबाइल एटीएम मशीन छल। घायल के इलाजक लेल पहिने साहेबगंज पीएचसी मे भर्ती कराओल गेल। स्थिति चिंताजनक हेबाक कारण एसकेएमसीएच रेफर कय देल गेल।
जकरा बाद बेहतर इलाजक लेल बैरिया स्थित मां जानकी अस्पताल आनल गेल, जतय चिकित्सक पीड़ित के मृत घोषित कय देलक। मृत घोषित हेबाक बाद पुलिस लहास के कब्जा मे लय पोस्टमार्टमक लेल एसकेएमसीएच पठा देलक अछि।