सीतामढ़ी मे आंगनबाड़ी सहायिका’क पिटाई, प्राथमिकी दर्ज

    0
    264

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: सोनबरसा प्रखंडक बिशनपुर आधार पंचायतक संग्रामपुर टोल पर शुक्रदिन साँझ मामूली विवाद मे गामक किछु लोक एकटा महिलाक संग मारिपीट कय जख्मी कय देलक। जख्मी महिलाक इलाज के लेल सोनबरसा स्वास्थ्य केंद्र मे भर्ती कराओल गेल अछि। मामला मे जख्मी कें बयान पर दर्ज प्राथमिकी मे छह गोटे के नामजद कायल गेल अछि।

    जख्मी महिला नागेश्वर राय’क पत्नी प्रतिभा देवी आंगनबाड़ी केंद्र संख्या 61 पर सहायिका छथि। प्राथमिकी मे पड़ोसी अभिषेक कुमार, फेकू राय, रामकेवल राय, रामनाथ राय, सबिता देवी व मिथलेश देवी कें आरोपित कायल गेल अछि। पीड़िताक परिजन कहलनि जे, शुक्रदिन महिला अप्पन जमीन मे टाट लगा रहल छली। तखनहि आरोपी गाली-गलौज करैत लाठी, डंडा व घूंसा सं महिला के पिटाई कय देलक।